मिथिलाक लाल, सुपौल निवासी ICAS अधिकारी जितेंद्र झा केँ शव रेलवे ट्रैक पर भेटल

सुपौल। 15 दिसम्बर। दिल्ली केँ द्वारका इलाका सँ लापता भारत सरकार केँ अधिकारी जितेंद्र कुमार झा केर लाश पुलिस बरामद केलनि अछि। हुनकर शव पालम विहार रेलवे लाइन पर भेटल। पुलिस लाश लग से एक सुइसाइड नोट सेहो बरामद केलनि अछि। पहिल नजैर मे पुलिस ऐहिकेँ आत्महत्या केर मामला मानी रहल अछि। ओनाकि ICAS अधिकारी जितेंद्र झा केँ पत्नी लाश क' चीन्है सँ मना क' देलनि अछि। परिवारक सदस्य सभ फिलहाल जितेन्द्र झा केँ शव होयबा पर शक जता रहल अछि।  झा केँ शव 5 टुकड़ा मे पालम विहार रेलवे लाइन पर भेटल अछि। 


डीसीपी द्वारका शिबेस सिंह कहलनि कि लाश लग सँ एक सुइसाइड नोट भेटल अछि। शुरुआती जांच मे ई मामला खुदकुशी करबाक बुझा रहल अछि। पुलिस एहि केस आओर सुइसाइड नोट केँ बारीकी सँ जांच क' रहल अछि। मृतक जितेंद्र कुमार झा (42) इंडियन सिविल अकॉउंट्स सर्विसेज के अधिकारी छलाह। ओ पछिला सोम दिनक भोर करीब 10 बजे सँ एकाएक लापता भ' गेल छलाह। जितेंद्र झा मूल रुपे सुपौल केँ रहिवासी छलाह। 

एहि समय ओ मानव संसाधन मंत्रालय मे तैनात छलाह। संगहि ओ इंडियन इंस्टिट्यूट ऑफ पब्लिक ऐडमिनिस्ट्रेशन मे ट्रेनिंग सेहो करैत छलाह। हुनकर पत्नी कहलनि कि जितेंद्र पछिला बहुत दिन सँ परेशान रहैत रहथिन। डिपार्टमेंट से अमूमन 5-6 माह मे हुनका ट्रांसफर क' देल जायत छल। एहि सँ पहिना ओ सूचना प्रसारण मंत्रालय मे छला। बाद मे हुनकर ट्रांसफर एचआरडी मिनिस्ट्री मे क' देल गेल छल। पत्नी केँ कहब अछि कि हुनकर पति जितेंद्र झा कहैत रहथिन कि हुनकर बहुतो लोग सँ दुश्मनी सेहो भ' गेल अछि किएक जे ओ एक ईमानदार अधिकारी छलाह।