दरभंगा : लहेरियासराय 21 न. गुमटी पर जननायक ट्रैन सँ गिरला पर युवक केँ मौत
दरभंगा। 14 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] आय गुरु दिन करीब 12 बजे लहेरियासराय चट्टी गुमटी के उत्तर करीब 25 वर्षीय एक युवक केँ जननायक ट्रेन सँ गिरला पर युवक केँ मौत भ' गेल। युवक ट्रेनक दरवाजा पर बैसल छल आ संतुलन बिगड़बाक कारण ओ गिर परला। बताओल जे रहल अछि कि गिरलाक बाद ट्रेन करीब 100 मीटर तक हुनका घसीटइत ल' गेल।
रेल पुलिस तुंरत घटना स्थल पर पहुँच शव के अपन कब्जा लेलक। युवक के जेबी से मुजफ्फरपुर केँ एक सिक्योरिटी कम्पनी के गार्डक आई कार्ड भेटल जाहि पर मृतक केँ नाम सुमित मिश्रा लिखल अछि। सिक्योरिटी कम्पनी क' जखन जीआरपी फोन केलक त' पता चलल जे करीब छः महीना पहिने मृतक कम्पनी छोइर देना रहथिन। फिलहाल युवक के पता के पुष्टि नहि भेल अछि। एक यात्री केर मुताबिक शायद मृतक सीतामढ़ी जिला के रहिवासी अछि।