सुपौल : चोरी केर आरोप मे देसी पिस्टल संग दू आरोपी रंगल हाथ गिरफ्तार

सुपौल। 07 दिसम्बर। गुप्त सूचना केर आधार पर तत्परता सँ कायल गेल कार्रवाई मे राघोपुर थाना पुलिस चोरी केर योजना बनबैत दू शातिर आरोपी क' रंगल हाथ गिरफ्तार केलनि। गिरफ़्तार आरोपी सभक तलाशी केर दौरान पुलिस एक देसी पिस्टल आओर चोरी मे उपयोग होमै बला  सामान सेहो बरामद केलनि। 

कार्रवाई केर संबंध मे राघोपुर थानाध्यक्ष चंद्रकांत गौरी कहलनि कि गुप्त सूचना केर आधार पर कैल गेल छापामारी म' किसान चौक इलाका सँ डुमरी पंचायत वार्ड नम्बर 11 निवासी राजदेव शर्मा आओर राजकुमार शर्मा क' एक देसी कट्टा सहित चोरी मे उपयोग आबैय बला औजार संग गिरफ्तार कायल गेल अछि।

थाना प्रभारी केर मुताबिक किसान चौक स्थित एक पानक दोकान केँ ताला तोड़बाक दौरान पुलिस दुनु आरोपी क' गिरफ़्तार केलनि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक पुलिस क' देखि दुनु आरोपी भगबाक प्रयास केलनि मुदा, पुलिस के जवान दुनु क' खदेड़ क' पकैड़ लेलनि। 

गौरतलब अछि कि पछिला किछु दिन मे जिलाक कैको अलग - अलग इलाका सँ चोरी करबाक घटना सामना आयल अछि। आओर एहि तरहक मामला मे चोर बभ बंद कमरा क' निशाना बनबैत अछि। ताजा मामला मे भेल गिरफ्तारी सँ पुलिस क' बड़का सफलता भेटल अछि। फिलहाल, दुनु आरोपी क' न्यायिक हिरासत म' वीरपुर भेजल गेल अछि।