एहेन अछि मिथिलाक शिक्षा व्यवस्था, गोपालगंज मे ऐना होयत अछि परीक्षा

गोपालगंज। 07 दिसंबर। [प्रणव कुमार चौधरी] गोपालगंज जिलाक कैको सरकारी माध्यमिक स्कूल क' भलहि हाई स्कूल मे बदैल देल गेल होय, मुदा सभ सरकारी स्कूल मे भेटैय बला बुनियादी सुविधा केर घोर अभाव अछि। स्थिति एहेन अछि कि सरकारी स्कूल सभमे मैट्रिक केँ सेंटअप परीक्षा खुलल आसमान केँ नीचा छात्र छात्रा सभके बैसा क' लेल जे रहल अछि।

गोपालगंज जिलाक सदर प्रखंड केँ अपग्रेड हाई स्कूल, बरईपट्टी स्कूल मे मिडिल आओर हाई स्कूल दुनु कक्षा केर बच्चा पढ़ैत छैथ। एहिठाम हाई स्कूल केर नाम पर मात्र एकटा कमरा अछि। एहिठाम करीब 200 बच्चा नौंवी आओर दसवी कक्षा मे पढ़ैत अछि। क्लास रूमक आभाव मे बच्चा सब पूरा बरख खुलल आसमान केँ नीचा जमीन पर बैस पढ़ैत अछि।  

एम्हर, बरईपट्टी स्कूल मे बच्चा सभ मेट्रिक सेंटअप केर परीक्षा द' रहल अछि। ऐही सेंटअप परीक्षा मे पास करैय बला बच्चा 2018 मे होमै बला मेट्रिक केर परीक्षा मे शामिल होयत। मुदा बरईपट्टी स्थित एहि अपग्रेड हाई स्कूल मे बच्चा सभ जाहि हाल मे परीक्षा द' रहला अछि ओहि सँ जाहिर अछी कि नौनिहाल सँ हम सभ कतेक उम्मीद क' सकैत छी।

स्कूलक दसवीं केँ छात्रा प्रिया कुमारी कहलनि कि स्कूल मे पूरा बरख एहिना खुलल आसमान मे जमीन पर पढ़ाई होयत अछि। ऐतबे नहि बच्चा सभकेँ अप्पन घर सँ बैसबाक लेल बोरा आओर चटाई ल' क' आबे पड़ैत अछि। स्कूल मे सुविधाक नाम पर कोनो साधन नहि अछि। 

स्कूल केँ प्रभारी प्राचार्य नवनीत कुमार मिश्रा कहलनि कि ऐही स्कूल क' पांच बरख पहिने हाई स्कूल म' अपग्रेड कायल गेल मुदा, एखन धरी स्कूल क' टेबल बेंच नसीब नहि भेल अछि। एहि ल'के कैको बेर डीडीसी आओर  विभागक आला पदाधिकारी सभसँ गुहार लगाओल गेल मुदा, सभ कियो आश्वासन देबाक सिवा किछु नहि केना अछि।