नेपाल : ऐतिहासिक चुनाव सँ पहिने करीब तीन भारतीय समेत 1000 लोग गिरफ्तार

काठमांडो : नेपाल मे ऐतिहासिक फेडरल आओर पार्लियामेंट्री चुनाव केर  आखिरी चरण मे कथित तौर पर खलल डालबाक कोशिश करबाक लेल तीन भारतीय सहित 1000 सँ बेसी लोग क' हिरासत मे लेल गेल अछि।  पुलिस द्वारा देल गेल जानकारी केर मुताविक नेपाल मे पहिल चरण केर चुनाव 26 नवंबर क' 32 जिला म' सफलतापूर्वक संपन्न भेल छल। 

एक पुलिस अधिकारी कहलनि कि विभिन्न राजनीतिक दल सभसँ जुड़ल  कुल 957 लोग क' नेता आओर कार्यकर्ता सभ पर हमला करबाक आरोप मे हिरासत मे लेल गेल अछि। एहिमे 600 सीपीएन - माओवादी सँ जुड़ल अछि। सपतरी जिला मे तीन भारतीय क' हिरासत मे लेल गेल अछि।  चुनाव विरोधी गतिविधि मे सभक संलिप्तता ल'के हिनका सभकेँ हिरासत मे लेल गेल अछि। 

और नया पुराने