बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा मैट्रिक आओर इंटर परीक्षार्थी सभक लेल टेली काउंसिलिंग केर आयोजन

पटना। 13 दिसम्बर। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा मैट्रिक आओर इंटर परीक्षार्थी सभक लेल टेली काउंसिलिंग केर आयोजन कायल जे रहल अछि। टेली काउंसिलिंग 15 सँ 21 दिसंबर धरी भोर 11 सँ 02 बजे दिन धरी चलत। एहि बेर एक दिन मे चारि सँ पांच विषय केर  टेली काउंसिलिंग कायल जायत। 

हर विषय केर लेल तीन घंटा लागतार काउंसिलिंग केर सुविधा देल जायत। परीक्षार्थी टेलीफोन नंबर 612-2232249, 2232079, 2227587, 2227588, 2232236 पर फोन करी विषय विशेषज्ञ सँ जानकारी ल' पौता। विषयवार टेलीफोन नंबर क' समिति केर वेबसाइट पर उपलब्ध कराओल गेल अछि।