समस्तीपुर। 13 दिसम्बर। समस्तीपुर मे आय कैल्हि आधार कार्ड बनायब लोग सभक लेल माथक दर्द बनल अछि। पैसा ल'के आधार कार्ड बनायब आब आम बात भ' गेल अछि, मुदा पैसा लेलाक बाद ओहिक रसीद सेहो नहि देल जायत अछि आओर कैको दिन दौड़ भाग केलाक बादो आधार कार्ड नहि बैन रहल अछि।
ओनाकि एहि धांधली क' रोकबाक लेल एनजीओ सभकेँ सरकारी स्थल पर आधार बनेबाक निर्देश देल गेल छल, मुदा कैको निजी संस्था ऐहिक अनदेखी करैत मनमाना तरीका सँ आधार कार्ड बना रहल अछि।