
नई दिल्ली। १३ दिसम्बर। दिल्ली केर सड़क पर ऐक्सिडेंट केँ शिकार लोग सभक इलाज आब प्राइवेट अस्पताल सभमे सेहो भ' सकत आओर इलाजक पूरा खर्च दिल्ली सरकार उठायत। ऐक्सिडेंट केँ अलावा, आगि आओर ऐसिड अटैक पीड़ित सभकेँ सेहो ई सुविधा भेटत।
कैल्हि मंगल दिन दिल्ली सरकार केँ कैबिनेटक मीटिंग मे भेल एहि फैसला केँ बाद हेल्थ मिनिस्टर सत्येंद्र जैन कहलनि कि ऐक्सिडेंट विक्टिम स्कीम केरतहत ऐक्सिडेंट केर शिकार लोग सभक सभसँ नजदीकक अस्पताल ल' जायल जायत। ऐक्सिडेंट स्पॉट केर सभसँ नजदिकक अस्पताल प्राइवेट भेला पर इलाज ओतहि होयत। ऐहिक लेल 340 प्राइवेट अस्पताल सभसँ समझौता कायल गेल अछि। इलाजक पूरा खर्च सरकार उठायत। एहि स्कीम क' स्वीकृतिक लेल उपराज्यपाल लग भेजल जायत। उपराज्यपाल सँ स्वीकृति भेटलाक बाद ऐहिके लागू कायल जायत।
हेल्थ मिनिस्टर सत्येंद्र जैन कहलनि कि ऐक्सिडेंट भेला पर ऑटो वा टैक्सी बला नजदिकक प्राइवेट अस्पताल होयत मरीज क' सरकारी अस्पताल ल' जायत अछि जाहिमे बहुत समय लागैत अछि। आब एहि स्कीम केँ बाद घायल सभकेँ सही समय पर इलाज भेट सकत। एहि स्कीम क' लागू करबाक लेल ऑटो आओर टैक्सी बला सभकेँ ऐहिक ब्रैंड ऐम्बैसडर बनाओल जायत। जाहिक लेल सरकार एक ट्रेनिंग प्रोग्राम चलाओत जाहिसँ ओ सभ एहि स्कीम क' नीक जोका बुझलाक बाद लोग सभक मदैद क' सकता। आगा ओ कहलनि कि ऐक्सिडेंट विक्टिम स्कीम केँ संगे संग गुड समैरिटन स्कीम क' सेहो लॉन्च क' देल जायत। एहिमें घायल क' अस्पताल पहुँचाबै बला क' 2000 टाकाक इनाम देल जायत। गुड समैरिटन स्कीम क' उपराज्यपाल केर अनुमति पहिने भेट चुकल अछि।