तेजस्वी यादव कैल्हि मंगल दिन जारी अप्पन बयान मे दावा केलनि कि पूरा देश मानैत अछि कि लालू प्रसाद यादव पूरा दिलेरी सँ सचक राह पर अड़ल छथि। तथाकथित चारा घोटाला दू मिनट मे भाईचारा घोटाला मे बदैल जेतिए यदि लालू प्रसाद केर DNA बदैल जेतिए। यदि लालू प्रसाद बीजेपी सँ हाथ मिला लेना रहतीए तँ ओ हिन्दुस्तान केँ आजुक राजा हरिश्चंद्र कहलाबतिए।
नेता प्रतिपक्ष आरोप लगौलनि कि लालू प्रसाद क' फंसाओल गेल अछि, तथाकथित भ्रष्टाचार तेँ बहाना अछि। विरोशी सभ कर्पूरी ठाकुर क' सेहो अपशब्द कहैत रहथिन, जखनकि हुनका पर भ्रष्टाचार केँ कोनो आरोप नहि छलैन्ह। तेजस्वी यादव कहलनि कि न्यायालय केर प्रक्रियाक हम सम्मान करैत छी आओर एहि प्रक्रिया मे लालू प्रसाद दोषमुक्त सेहो हेता। व्यक्ति विशेष क' रोकल जे सकैछ, हुनकर रोका विचार, मार्गदर्शन आओर दृढ़ संकल्प क' सभकेँ नहि।