शिल्पी क' अगवा करबा म' असफल रहल दबंग सभ हुनकर निर्मम हत्या क' देलक, जाहिक F.I.R दर्ज नहि भ' रहल छल। एहिबातक खबैर अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद केर अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्र क' भेटल, शैलेन्द्र मिश्र अप्पन पूरा टीमक संग विसरख थाना पर दबाव बना F.I.R दर्ज करा धरा 302 केर तहत गुनाहगार क' गिरफ्तार करा जेल मे बंद करौलनि।
कैल्हि शिल्पी केर आत्माक शांति लेल हुनका आवास पर अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद द्वारा शोक सभा केर आयोजन कायल गेल आओर मोमबत्ती जड़ा हुनकर आत्मा केर शांति प्रार्थना कायल गेल। अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद केर अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्र कहलनि कि ग्रेटर नोएडा मे भेल एहि निर्मम हत्या केर विरोध मे आगामी रवि दिन 5 बजे केंडल मार्च निकालल जायत। आगा ओ बच्ची क' न्याय दिएबाक संकल्प लैत समस्त नोएडा दिल्ली एनसीआर केर मिथिलावासी सँ अपील केलनि कि आगामी रवि दिन तिगरी गोलचक्कर ग्रेटर नोएडा मे बच्ची केँ नाम सँ सांझ 5 बजे होमै बला केंडिल मार्च मे बेसी सँ बेसी संख्या म' उपस्थित भ' एक गरीब परिवारकेँ न्याय दिएबा मे सहयोग करी।
कैल्हिक शोक सभा मे शैलेन्द्र मिश्र, ललन झा, हीरानंद झा, बाम शंकर खाँ , अजित ठाकुर, प्रदीप झा, विनीत झा, कल्याणी झा, रंजना झा, सुनीता झा, मुनि झा, किरण झा, प्रिया झा केर संगे संग बहुत रास लोग उपस्थित छलथि।