मुंगेर : पुलिस क' भेटल बड़का सफलता, एके-47 व अमेरिकन रायफल समेत हथियारक जखीरा बरामद

मुंगेर। 27 दिसम्बर। बिहार पुलिसक स्पेशल टास्क फोर्स (एसटीएफ) केर  टीम मुंगेर मे एक बड़का हथियार तस्कर गिरोह केर पर्दाफाश केलक। गिरोह सँ एसटीएफ एके-47 आओर अमेरिका निर्मित सेमी ऑटोमेटिक रायफल समेत देसी-विदेशी हथियार सभक बड़का जखीरा बरामद केलक। एहि मामला मे एसटीएफ मुंगेर के शंकरपुर गाम निवासी व अंतरराज्यीय हथियार तस्कर गिरोह केर सरगना सनोज यादव समेत कुल चारि गोटा क' गिरफ्तार केलक। बरामद हथियार सभमे करीब एक दर्जन अर्धनिर्मित पिस्टल आओर करीब एक हजार गोलि सेहो शामिल अछि। 

राज्य केँ आइजी ऑपरेशन कुंदन कृष्णन कहलनि हुनका सूचना भेटल छल कि मुंगेर मुफस्सिल थानाक्षेत्रक शंकरपुर गाम स्थित सनोज यादव केँ घर मे हथियार राखल गेल अछि। ऐहिक लेल एसटीएफ केर स्पेशल ऑपरेशन ग्रुप-1 केर एक टीम क' मुंगेर रवाना कायल गेल। एहि टीमक कार्रवाई मे सनोज यादव केँ घर सँ एक एके-47 रायफल, एक अमेरिकन सेमी ऑटोमेटिक रायफल, एक रेगुलर पिस्टल, एक 7.65 के रेगुलर पिस्टल, तीन 7.65 बोर के पिस्टल, चारि गोट रिवॉल्वर, अर्धनिर्मित 11 पिस्टल, करीब एक हजार जीवित गोली आओर भारी मात्रा मे अत्याधुनिक हथियार सभक पार्ट्स बरामद भेल। 


एसटीएफ टीम एहि मामला मे सनोज यादव, पिता- स्व. कमल किशोर यादव केर संग संजीव साह, पिता राजेंद्र साह, समन कुमार शर्मा, पिता भोला शर्मा आओर तनी शर्मा, पिता शिवनंदन शर्मा क' गिरफ्तार केलक।