सहरसा : दबंग सभसँ परेशान परिवार अनिश्चितकालीन आमरण अनशन पर बैसल

सहरसा। 20 दिसम्बर। सहरसा जिलाक सौर पंचायत निवासी उर्मिला देवी अप्पन पति मदन साह सहित परिवारक सभ सदस्य संग पछिला पांच दिन सँ अप्पन जमीन पर दंबग सभसँ कब्जा दिएबाक मांग ल'के स्टेडियम लग अनिश्चितकालीन आमरण अनशन पर बैसल छथि। ऐहिक बावजूद एखन धरी प्रशासन दिस सँ कोनो पहल नहि कायल गेल अछि। जाहिक लेल कैल्हि मंगल दिन वैश्य समाज सँ जुड़ल लोग सभ अनशन स्थल पर पहुंच अनशनकारी सभक हालचाल पुछलनि। 

वैश्य संगठन केँ जिला संयोजक मोहन साह केर नेतृत्व मे प्रतिनिधिमंडल जिला प्रशासन सँ बासगीत पर्चा केँ जमीन क' अविलंब दबंग सभक कब्जा सँ मुक्त करेबाक मांग केलक। एहि मौका पर जिला व्यापार संघ केँ अध्यक्ष विकास गुप्ता, भाजपा वाणिज्य मंच केँ प्रदेश कार्यसमिति सदस्य राजीव रंजन साह, जदयू नेता देवेन्द्र कुमार देव, कुश मोदी, रंजीत चौधरी, रामनाथ साह, रामनरेश साह, संजय साह, मनोज मिलन, सुनील सूर्या, राजकिशोर गुप्ता, सुरेश साह, कैलाश साह, अभिनंदन कुमार, राजू गुप्ता, पंकज कुमार साह, संतोष कुमार, अजीत कुमार, उमेश साह द्वारा जिला प्रशासन सँ अनशन समाप्त करेबाक संगहि पीड़ित परिवार क' न्याय दिएबाक मांग कायल गेल। 

और नया पुराने