हरमू (झारखण्ड)। 20 दिसम्बर। झारखण्ड मिथिला मंच केँ सदस्य सुजीत झा जानकारी दैत कहला कि झारखंड मैथिल मंचक पंचांग केर लोकर्पण सह परिवार मिलान समारोह हरेक बरखक भांति एहि बेर 24 दिसम्बर यानी आगामी रवि दिन पटेल मैदान हरमू मे 11 बजे सँ राखला गेल अछि। जाहिमें मंच केँ स्वयंसेवक सभक संगे - संग सम्पूर्ण मैथिल समाज आमंत्रित छथि।
झारखंड मिथिला मंच दिस सँ हटिया डीआरएम क' एक ज्ञापन सेहो देल गेल अछि, जाहिमें रांची - जयनगर एक्सप्रेस केँ नाम बदैल क' विद्यापत्ति - बिरसा मुंडा एक्सप्रेस करबाक मांग कायल गेल अछि। जाहिक बाद डीआरएम मांग पर विचार करबाक बात कहने छथि। यदि ट्रेनक नाम बदलल जायत अछि तेँ ई सम्भवतः बाबा विद्यापत्ति केर नाम सँ चलाई बला पहिल ट्रेन होयत।