दरभंगा। 20 दिसम्बर। [निशांत झा] मीडिया स्पोर्ट्स क्लब केर कमिटी आगामी मीडिया कप केर आयोजन लेल एलएनएमयू आओर केएसडीयू केर कुलपति सभसँ भेट केलक। प्रतिनिधि मंडल मे आयोजन समिति केँ महासचिव अमित सिंह, अध्यक्ष मुकेश कुमार झा, कोषाध्यक्ष देवेंद्र ठाकुर, मीडिया प्रभारी सह प्रवक्ता अभिषेक कुमार, संरक्षक प्रवीण बबलू, प्रह्लाद कीलु, कौशल कर्ण, अभिनव सिंह, लक्ष्मण कुमार, राकेश झा, इरफ़ान पैदल, गिरीश कुमार, विपिन कुमार, गड्डू आदि मौजूद छला।
अपने क' बता दी एहि बेरक मीडिया कप मे वेब मीडिया केँ टीम क' पहिल बेर प्रवेश भेटल अछि आओर एहि टीमक कप्तानी वॉयस ऑफ़ दरभंगा केर संपादक अभिषेक कुमार क' रहल छथि। आयोजन समिति केर प्रवक्ता सह मीडिया प्रभारी अभिषेक कुमार ऐहिक जानकारी दैत कहलनि कि एहि बेरक मीडिया कप ऐतिहासिक होयत। हर बरख मीडिया कप मे दरभंगा टीमक अलावा समस्तीपुर केँ टीम खेलते छल, मुदा एहि बेर मधुबनी आओर सीतामढ़ी के टीम सभकेँ सेहो आमंत्रण भेजल जे रहल अछि। सीमावर्ती राष्ट्र नेपाल सँ जनकपुरक टीम सँ सेहो संपर्क कायल गेल अछि। यदि सभ किछु ठीक ठाक रहल तेँ एहि बेरक मिडिया कप मिथिलाक ऐतिसाहिक टूर्नामेंट होयत।