बेगूसराय मे कुख्यात अपराधी अजय सिंह केर गोली मारी हत्या

बेगूसराय। 29 दिसम्बर। नावकोठी थाना क्षेत्रक पहसारा गाम मे कैल्हि गुरु सांझ बदमाश सभ जिलाक कुख्यात अपराधी अजय सिंह केर गोली मारी हत्या क' देलक, जाहिसँ पूरा क्षेत्र मे सनसनी पसैर गेल अछि। एहि घटनाक सूचना भेटते मौका पर पहुँचल पुलिस शव क' पोस्टमार्टम लेल भेज देलक आओर मामला केँ है जांच म' जुटी गेल।

परिजन सभ कहलनि कि हुनकर पड़ोसी बमबम सिंह, अजय सिंह संग  शराब पीबैत छल जाहिक बाद बमबम सिंह अजय सिंह केँ घरक बाहर ल' जे क' निर्मम हत्या क' देलक। बताओल जे रहल अछि कि अजय सिंह सेहो कुख्यात अपराधी छलथि आओर कोबरा नाम सँ जानल जायत छलथि। अजय सिंह पर हत्या, लूट, अपहरण सहित कैको मामला दर्ज अछि।