एहि दौरान जिलाधिकारी पदाधिकारी सभकेँ कैको आवश्यक दिशा-निर्देश दैत देखार देला। कार्यक्रम लेल मुख्य मंच सहित पंडाल क' आकर्षक ढ़ंग सँ सजाओल गेल अछि। मुख्य मंच पर दर्शक सभकेँ दरभंगा राज किला केर झलक देखबाक लेल भेटत। ऐहिक अलावा मैदानक दोसरछोर पर करीब सौ स्टॉल बनाओल गेल अछि, मैदानक बीचों-बीच मिथिला दलान केर निर्माण कराओल गेल अछि। एहिठाम मिथिलाक घरेलु जीवनक संगे - संग सरकार केर महत्वाकांक्षी योजना सभमे एक हर-घर, नल-जल केर दृश्य देखबाक लेल भेटत।
दू दिवसीय मिथिला लोक उत्सव केर पहिल आओर दोसर दिन स्थानीय कलाकार सभक संगे - संग मुंबई सँ आयल गायिका ममता शर्मा, राईजिंग स्टार केर उपविजेता मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर, फरहान साबरी व आलीशा एंजेला अप्पन प्रस्तुति देत।
अपने क' बता दी पछिला बरख 8 स्थानीय कलाकार सभ लोक उत्सव केर दौरान अप्पन प्रस्तुति देना छल। मुदा एहि बरख दू दिवसीय कार्यक्रम केर दौरान कुल 14 स्थानीय कलाकार अप्पन प्रस्तुति देत। एहि मे मुख्य रूप सँ विपिन कुमार मिश्रा, डॉ. ममता ठाकुर, अनुपमा मिश्रा, नीरज झा, जयप्रकाश नारायण पाठक, रामबाबू झा, जूली झा, माधव राय, मनीता पाठक, विभा झा, सुषमा झा, स्वेता रानी, पूनम मिश्रा, दीपक कुमार, कुमकुम मिश्रा आदि शामिल अछि।