
समस्तीपुर। 01 दिसम्बर। राज्य मे नीतीश कुमार के शराबबंदी मे एक थानेदार क' शराब माफिया सभक संग मुठभेड़ केर खामियाजा सस्पेंसन केर तौर पर भुगते पड़लनि। ई मामला समस्तीपुर केर अछि जता के सरायरंजन थाना के थानेदार क' कैल्हि गुरू दिन निलंबन क' देल गेलनि। ई उवे थानेदार छथि जे तीन दिन पहिने इलाका के शराब माफिया सभक संग भेल मुठभेड़ मे बाल-बाल बचल छला। मुठभेड़ केर दौरान थानेदार क' हाथ मे गोली लागल छल जखनकि हुनका संग मुठभेड़ मे शामिल बीएमपी जवान अनिल कुमास सिंह शहीद भ' गेल छलाह।
सरायरंजन थानेदार के निलंबन केर विरोध मे ग्रामीण सभ खूब प्रदर्शन केलनि। ग्रामीण सभ सरायरंजन थानाध्यक्ष मनोज कुमार सिंह केर निलंबन केर विरोध क' रहल छथि। ग्रामीण सभ पहिने थाना पर प्रदर्शन केलनि फेर एनएच 103 क' जाम करी आगजनी केलनि। ग्रामीण सभ थानाध्यक्ष मनोज कुमार सिंह पर भेल कार्रवाई क' वापस लेबाक मांग क' रहल छथि।
अपने क' बता दी 27 नवंबर देर राति हालई ओपी के इंद्रवारा केवल स्थान लग शराब माफिया आओर पुलिस के बीच मुठभेड़ भेल छल। एहि मुठभेड़ मे बीएमपी 12 के हवलदार अनिल कुमार शहीद भ' गेल छलाह आओर थानाध्यक्ष मनोज सिंह क' हाथ मे गोली लागल छलैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।