बालू चोर गद्दी छोड़ नारा संग 12 बजे धरिक लेल बिहार विधानसभा स्थगित

पटना। 01 दिसम्बर। आय बिहार विधानसभा के शीतकालीन सत्रक अंतिम दिन विधानसभा मे खूब हंगामा भेल जाहिक बाद स्पीकर द्वारा 12 बजे धरिक लेल हाउस स्थगित कायल गेल। 

ओतहि पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी केर नेतृत्व मे राजद के विधान पार्षद सभ भ्रष्ट आओर घोटालेबाज मुख्यमंत्री इस्तीफा दिआ केर तख्ती लहरौलनि तेँ राजद के सदस्य सभ विधानसभा मे बालू आओर गिट्टी के  चोर गद्दी छोड़ के नारा लगौलनि। भाकपा माले के सदस्य सभ बेतिया मे गरीब सभक घर उजारबा पर नीतीश सरकार केर खिलाफ नाराबाजी केलनि। 

ओतहि सदन के भीतर बालू केर मुद्दा पर चर्चा करैत  विपक्षी सदस्य उत्तेजित भ' गेलथि आओर ओ सभ वेल मे आबिके खूब नाराबाजी केलनि।  राजद सदस्य सभ तख्ती पर नीतीश कुमार पैखाना चोर, बांध चोर आदि शब्द लिखने रहथिन। संसदीय कार्य मंत्री श्रवण कुमार कहलनि कि सरकार हर आरोपक जवाब देबा चाहैत अछि मुदा विपक्ष सिर्फ हंगामा करे चाहैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ