दहेज मुक्त मिथिला संगठन द्वारा दहेज मुक्त बिआह करनिहार सभकेँ सम्मानित कायल गेल

दरभंगा। 01 दिसम्बर। कैल्हि गुरु दिन बिरौल प्रखंडक पोखराम गाम म' एक दहेज मुक्त बिआह सम्पन्न भेल। जाहिमे दहेज मुक्त मिथला टीम के आर.के दीपक (ब्रांड एम्बेसडर), मनोज शर्मा (जिला संयोजक), कार्तिक कुमार (प्रखंड अध्यक्ष कु०), बबलू झा (पंचायत अध्यक्ष कु०) आओर आन सदस्य बिआह समारोह मे पहुँच जय मोहन झा (वर) आओर खुश्बू कुमारी (वधु) क' सुखमय वैवाहिक जिनगीक शुभकामना दैत वर - वधु केँ पिता श्री जटा शंकर झा ग्राम हिरानी व दिलीप कुमार चौधरी ग्राम पोखराम, दुनूकेँ पाग चादर व माला पहिरा सम्मान पत्र द' सम्मानित केलनि। 


दहेज मुक्त मिथिला टीम दहेज मुक्त बिआह होय ऐहिक लेल लोग सभके जागरूक केलनि, जाहिमे पूरा हिरणी पंचायत आओर पोखराम पंचायत (दुनू पक्ष) के लोग सभक संगे संग श्री नंदू चौधरी, बलराम चौधरी, पुरन चौधरी, नरेश चौधरी, महेश चौधरी, टोका कॉमर्स इंस्टीट्यूट केर संस्थापक डी.के झा, प्रदीप झा छोटू, लाइव जन जन तक के रिपोर्टर धनन्जय कुमार व दहेज मुक्त मिथिला कु० के प्रवक्ता किरण कुमार कौशल उपस्थित छलथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने