सहरसा : महात्मा गांधी केर प्रेरणा स्रोत पर बनल "बापू सेवा आश्रम" केर संरक्षण लेल 23 दिसम्बर क' आक्रोश मार्च रैली

सहरसा। 21 दिसम्बर।[दीपक कुमार झा] बापू सेवा आश्रम समिति केर माध्यम सँ बघवा पंचायतक अंतर्गत विभिन्न जगह सभ पर जनसम्पर्क अभियान चलाओल गेल जाहिमे बघवा गामक कैको समाजसेवी सभक  संगे संग सिमरी बख्तियारपुर केँ पूर्व जिला परिषद उपाध्यक्ष श्री रितेश रंजन, भाजपा नेता श्री अजय कुमार सिंह, भोटिया पंचायत केँ पूर्व मुखिया शिवेंद्र कुमार सिंह, बघवा ग्राम कचहरी केँ सरपंच श्री पर्वत राज, वार्ड सदस्य प्रतिनिधि प्रभात कुमार झा उर्फ पप्पू झा, पैक्स अध्यक्ष पंकज झा, वरिष्ठ नागरिक समूह केँ सीनियर मेंबर आओर महान शिक्षाविद श्री पंकज चौधरी, संजय झा, डॉक्टर मोहम्मद जमीरुद्दीन, भूतपूर्व उप मुखिया        बघवा ग्राम पंचायत आओर विभिन्न राजनीतिक दल सभक सहयोग सँ बघवा ग्राम पंचायत केँ विभिन्न जगह पर बैसारक माध्यम सँ लोग सभसँ जनसम्पर्क बनाओल गेल। 


जनसम्पर्क अभियानक दौरान सामूहिक रुपे आगामी 23 दिसम्बर क' सिमरी बख्तियारपुर रेलवे स्टेशन सँ अनुमंडल कार्यालय धरी पैदल आक्रोश मार्च रैली आओर अनुमंडल पदाधिकारी क' ज्ञापन देबाक निर्णय लेल गेल जाहिक लेल समस्त बघवा ग्राम पंचायत वासी दिस सँ आश्वासन भेटल कि बापू सेवा आश्रम क' बचेबाक लेल चलाओल जे रहल एहि नेक अभियान मे सभकियो यथासंभव सहयोग करत आओर तुच्छ मानसिकता रखनिहार किछु लोग क' मुंहतोर जबाब देल जायत। 

अपने क' बता दी कि एहि आंदोलन मे सभ कियो बढ़ी चढ़ी क' भाग ल' रहल छथि। ई एक जन व्यापी आंदोलन अछि जे कि समाजक धरोहर महात्मा गांधी केर प्रेरणा स्रोत पर बनल बापू सेवा आश्रम केर ज़मीन बचेबाक लेल चलाओल जे रहल अछि, जाहि जमीन क' पूर्व जेडीयू विधायक और तत्कालीन विधायक श्री अरुण यादव  हथिया लेना छथि।

हथियाओल गेल जमीन क' खाली करेबाक दिशा मे कैको बेर पहल भेल मुदा एखन धरी ओहि जमीन पर श्री यादव कब्ज़ा केना छथि। समस्त  सामाजिक संगठन, समाज सेवक आओर आवाम क' आमंत्रित कायल जायत अछि कि आगामी कार्यक्रम मे अप्पन उपस्थिति दर्ज करबैत  नकारात्मक सोच रखनिहार सभक खिलाफ आवाज बुलंद करी। सभ कियो  बापू सेवा आश्रम क' बचेबाक लेल चलाओल जे रहल एहि अभियानक मदैद लेल दिनांक 23 दिसंबर 2017 क' 11 बजे दिन मे उच्च विद्यालय सिमरी बख्तियारपुर मैदान मे पहुंचबाक कृपा करी।