मैक्स अस्पताल केँ लाइसेंस रद्द करबाक दिल्ली सरकार केँ फैसला पर रोक, नवा मरीज सभक इलाज भेल शुरू

नई दिल्ली। 21 दिसम्बर। दिल्ली केँ शालीमार बागक मैक्स अस्पताल क' बड़का राहत भेटल अछि। फ़ाइनेंस कमिश्नर द्वारा मैक्स अस्पताल केँ लाइसेंस रद्द करबाक दिल्ली सरकार केँ फैसला पर रोक लगाओल गेल अछि, जाहिक बाद सँ मैक्स अस्पताल मे फेर सँ नवा मरीज सभक इलाज शुरू भ' गेल अछि। दरअसल अस्पताल द्वारा जीवित नवजात क' मृत बतबैत परिजन सभकेँ सौंपल गेल छल, जाहिक बाद दिल्ली सरकार एहि मामला के जांच करेना छल। जांच रिपोर्ट मे दोषी पाओल गेलाक बाद दिल्ली सरकार अस्पताल केँ लाइसेंस रद्द क' देना छल। 


दिल्ली सरकारक फैसला केँ बाद उपराजयपाल अनिल बैजल ई मामला कोर्ट ऑफ फाइनेंस कमिश्नर लग भेजना छला। शालीमार बाग स्थित मैक्स अस्पताल मे जिंदा बच्चा क' मृत बतेबाक मामला मे दिल्ली सरकार तीन सदस्यीय समिति केर गठन केना छल, एहि समिति द्वारा अप्पन  रिपोर्ट मे अस्पताल द्वारा तय मेडिकल नियम सभक पालन नहि करबाक दोषी पाओल गेल छल।