ट्रेन मे लूटपाटक विरोध करबा पर यात्री केर अपहरण, एक घंटा धरी रुकल रहल ट्रेन, 3 गिरफ्तार

भागलपुर। 22 दिसम्बर। जमालपुर-भागलपुर रेलखंड केँ बरियारपुर रेलवे स्टेशन पर कैल्हि अपराधी सभक विरोध करबा पर सशस्त्र अपराधी सभ 13133 सियालदह-वाराणसी एक्सप्रेस ट्रेन सँ एक यात्री क' अगवा क लेलक। अपहृत यात्री केँ पत्नी तत्काल भैंक्यूंप करी ट्रेन क' रोकली आओर इंजन केँ पटरी पर बैस क' अप्पन पति केर बरामदगी केर मांग करने लागली। यात्री केँ अपहरण भेलाक खबैर भेटते रेल व जिला पुलिस मे हड़कंप मैच गेल आओर तत्काल कार्रवाई करैत बरियारपुर स्टेशन लग  पड़िया गामक राहरिक खेत सँ अपहृत यात्री क' मुक्त कराओल गेल। एहि दौरान लगभग एक घंटा धरी सियालदह-वाराणसी एक्सप्रेस ट्रेन रुकल रहल। 


बताओल जे रहल अच्छी कि साहेबगंज जिलाक राजमहल थाना अंतर्गत तीन पहाड़ निवासी ओमप्रकाश सिंह अप्पन पत्नी मुन्नी देवी, साली प्रतिमा देवी आओर दू बच्चा प्रत्युष व पीहू संग सियालदह-वाराणसी एक्सप्रेस ट्रेन सँ पटना जायत छलथि। ई सभ कियो ट्रेनक निचला बर्थ पर बैसल छलथि आ हिनका सभक सामन उपरका बर्थ पर राखल छलैन्ह। ट्रेन जखन भागलपुर से खुजल तेँ चारि गोट युवक ओहि बोगी मे पहुँचल जाता ई सभ बैसल रहथिन। तीन युवक उपरका बर्थ पर बैस रहल जता हिनका सभक सामान राखल छलैन्ह। ट्रेन खुजते तीनो युवक चोरिक प्रक्रिया क' अंजाम देबा लागल।

एतबा देर मे ट्रेन अकबरनगर स्टेशन पहुंच गेल। जखन ओमप्रकाश सिंह क' किछु संदेह भेल तेँ ओ अप्पन सामान नीचा उतारे लागला। सामन उतारला पर ओ देखैत छथि कि बैग सभ कटल अछि। ओ हल्ला करे लागला। एहि दौरान सभ अपराधी ओता सँ भागे लागल। मुदा, हल्ला होयबाक कारण यात्री सभ दू अपराधी क' पकैड़ लेलक जे बरियारपुर के पड़िया गामक रहिवासी संजीव कुमार उर्फ सिंटू आओर गांधीपुर बरियारपुर के भोला कुमार सिंह छल। यात्री सभ दुनू क' रेल पुलिस केर हवाले क' देलक। 

सियालदह-वाराणसी एक्सप्रेस जखन बरियारपुर स्टेशन पहुंचल तेँ आपराधिक गिरोह केँ आन सदस्य सभ पिस्तौल ल'के ओमप्रकाश सिंह क' ताके लागल। बरियारपुर मे ओमप्रकाश लग पहुँच हुनका ट्रेन सँ नीचा उतारलक, एतबे म' ट्रेन चैल देलक। मुदा अपहृत यात्री केँ पत्नी तत्काल भैंक्यूंप करी ट्रेन क' रोकली आओर इंजन केँ पटरी पर बैस क' अप्पन पति केर बरामदगी केर मांग करने लागली। ट्रेनक आन यात्री सभ दिनदहाड़े भेल एहि वारदात मे मुन्नी केँ संग देलक आओर पुलिस प्रशासन हरकत मे आयल। लगभग एक घंटा म' बरियारपुर पुलिस केर मदैद सँ ऋषिकुंड हॉल्ट के पश्चिम दिशा मे छिलका बरेल बहियार सँ  ओमप्रकाश क' बरामद क' लेल गेल। एहि दौरान ट्रेन बरियारपुर स्टेशन के आगू लोहा पुल पर रुकल रहल।