दहेज मुक्त मिथिला संस्था केँ ब्रान्ड एम्बेसडर धावक आरके दीपक भेला नेपाल मे सम्मानित

दरभंगा। 21 दिसम्बर। दहेज मुक्त मिथिला संस्था केँ ब्रान्ड एम्बेसडर धावक आरके दीपक गाम - गाम आओर शहर-शहर मे मैराथन दौड़ लगा 'दहेज भगाउ बेटी बचाउ' नारा केर एहि कूप्रथा क' दूर भगेबाक लेल मुहिम चला रहल छथि। ऐही क्रम मे दहेज मुक्त मिथिला जेकि भारतक संगे संग नेपाल मे सेहो सक्रीय अछि, दुनु देश केँ मिथिला क्षेत्रक लोग सभमें जनजागरण अभियान चलाबैत आयब रहल अछि। ऐही संस्थाक ब्रान्ड एम्बेसडर दीपक अप्पन अभियान नेपालक विराटनगर सँ सेहो शुरू केलनि।

नेपालक औद्योगिक नगर केर रूप मे चर्चित दोसर सभसँ पैघ महानगर विराटनगर मे भोर नामक संस्था आओर नेपाली-मैथिली दुनु भाषा मे बनल फिल्म राज्जा रानी केर संयुक्त पहल मे फिल्म के प्रोमोशनक संग - संग बाल बिआह आओर दहेज प्रथा खत्म करबाक लेल चलाओल जे रहल देशव्यापी अभियान मे आरके दीपक क' विशेष तौर पर आमंत्रित करी सम्मानित कायल गेलनि। 


'राज्जा रानी' दहेज प्रथा पर जनजागरण केर सनेस देबाक संगे संग भरपुर मनोरंजन देबाक लेल नेपाली भाषाक फिल्म अछि जाहिक निर्माण मैथिली भाषा मेँ सेहो भ' रहल अछि। भोर संस्था पछिला 13 बरख सँ मिथिला क्षेत्रक संगे संग पूरा नेपाल मे दहेज प्रथा व बाल बिआह रोकबाक लेल मुहिम चलबैत आयब रहल अछि, एहि संस्था द्वारा फिल्म राज्जा रानी क' मैथिली भाषा मे बना नेपाल आओर भारतक करीब 8 करोड़ मैथिली भाषी धरी एहि फिल्मक माध्यम सँ दहेज जेहन  कूप्रथा समाप्त करबाक लेल  मुहीम चलाओल जे रहल अछि। भोर संस्था केर संयोजक राजकुमार महतो कहलनि कि जाधरि अप्पन समाजक लोग एहि कूप्रथा क' दूर नहि  भगेता सामाजिक - आर्थिक - सांस्कृतिक विकास नहि भ' सकैत अछि। 


विराटनगर केँ बखरी बगीचा मे दहेज़ मुक्त मिथिला केँ कार्यक्रमक आयोजन 19 दिसम्बर दिन भेल। एहि कार्यक्रम मे नेपालक नवनिर्वाचित सांसद आओर पूर्व मंत्री लालबाबू पंडित मुख्य अतिथि छला, ओतहि  विराटनगर महानगरपालिके केँ महापौर भीम पराजुली विशिष्ट अतिथि केर रूप मे उपस्थित छला।  

भोर एवं राज्जा रानी फिल्म केर संयुक्त आयोजन द्वारा विराटनगर केँ कैको नामचिन सामाजिक अभियन्ता क' सम्मानित कायल गेलनि, जाहिमें  धावक आरके दीपक, राधा मंडल, वन्दना चौधरी, वसुन्धरा झा, आशा झा, कुशेश्वर राजवंशी, राकेश रौशन यादव, मंजू मंडल आदि शामिल छलथि।