दरभंगा। 22 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] पुलिस चाही लिए तेँ कीछभी क' सकैत अछि बस करबाक नीयत होयबाक चाही। एक दिलचस्प मामला सामना आयल अछि। मोबाइल चोरी जेहन छोट घटनाक पर्दाफ़ाश करबाक लेल एक महिला पुलिस कर्मी आजुक समय म' चर्चा मे छथि। ई एक सबक सेहो अछि मनचला सभक लेल फोन पर मीठ-मीठ गप सुनिकेँ लहालोट भ' जायत छथि।
दरभंगा नगर थाना मे एक मोबाइल फ़ोन चोरी होयबाक रिपोर्ट दर्ज भेल। ओना तेँ मोबाइल चोरी क' पुलिस बेसी महत्व नहि दैत अछि, मुदा एहि केस मे देलक किएक जे चोरी भेल कीमती मोबाइल भाजपा नेता संजय महतो के छलैन्ह। महिला एएसआई एक अभिनव प्रयोग करैत चोर क' गिरफ्तर केलक। ई केस असिस्टेंट सब-इंस्पेक्टर मधुबाला देवी केर सुपुर्द कायल गेल छल। मधुबाला पहिने फोन सर्विलांस पर लगेली। जखन ओ मोबाइल ट्रेस करैत छली तेँ अलग अलग इलाका बतबैत छलैन्ह। जाहि कारण सँ चोरक ठेकानक पता नहि चलैत छल। ऐना म' मधुबाला दोसर तरिका सोचे लागली। ओहि मोबाइल म' लागल नंबर के पता लगाओल गेल, फेर मधुबाला ओहि नंबर पर फोन केलि।
मधुबाला हुनका सँ खूब मीठ मीठ बात करे लागली। तीन-चारि दिन धरी प्यार मुहब्बत के बात होयत रहल, मधुबाला एहिठाम अप्पन अगला छल चलली। प्रेमी साहब क' दरभंगा टावर पर भेट करबाक लेल बजेली। टावर लग सादा ड्रेस मे पुलिस के जवान तैनात कायल गेल। कथित आशिक़, जिनकर नाम हसनैन अछि, हवा मे उड़ैत ओता पहुंचला। एहिसँ पहिने कि हुनकर भेट करबाक इच्छा पूरा हेतिए आस-पास मौजूद पुलिस हुनका गिरफ्तार क' लेलक। चोरी भेल मोबाइल सेहो हुनका लग सँ बरामद कायल गेल।