ऐही घटनाक बारे मे सएपी दीपक बरनवाल मीडिया सँ बात करैत कहलनि कि ई गैंग दरभंगा, मधुबनी आओर सुपौल जिला मे शक्रिय छल। लुटेरा गैंगक सदस्य चोरी आओर लूटपाट केँ गाड़ी क' नेपाल केर इलाका मे पांच सँ दस हजार टाका मे बेचैत छल।
सएपी दीपक बरनवाल आगा कहलनि कि ई गैंग अगबे 2017 मे 150 सँ बेसी मोटरसाइकिल लूटने छल। गैंग केर सदस्य सभ पहिने गाड़ी पर निशाना बनबैत छल, फेर रेकी करैत छल आओर मौका भेटते मास्टर चाभी सँ मोटरसाइकिल खोएल फरार भ' जायत छल। फिलहाल, पुलिस ऐहिके बड़का कामयाबी मानैत चोरी आओर लूटक घटना पर अंकुश लगेबाक बात कही रहल अछि।