ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय सेमिनार केर आयोजन

दरभंगा। 08 दिसंबर। [प्रणव कुमार चौधरी] ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे वाणिज्य एवं प्रसाशन विभाग मे अन्तराष्ट्रीय स्तर केँ विद्वान सभ जुइट रहल छथि। सभ विद्वान भारत मे उद्यमिता केर उभरैत परिदृश्य पर चर्चा करथिन। ऐही सम्मलेन मे अंतराष्ट्रीय ख्याति प्राप्त दू  दर्जन सँ बेसी विद्वान भाग लेबाक सहमति देना छथि।

वाणिज्य एवं प्रसाशन विभाग द्वारा 8-9 दिसम्बर क' अंतरराष्ट्रीय सेमिनार केर आयोजन कायल गेल अछि। सेमिनार केर विषय “इमर्जिंग एंटरप्रेन्योरीएल सिनेरियो इन इंडिया” अछि। सम्मलेन मे उक्रेन केँ भारत मे राजदूत इगोर पोलिखा, लिथुआनिया केँ डॉ.जीता क्रियोसिनाएन, भूटान केँ एस. एम्. गोम्स, पोल्लैंड केँ भारत मे महावाणिज्य दूत डॉ. लिसोसकी भाग लेथिन। नेपाल के बी. बी. भंडारी केर संग दर्जन भरी वाणिज्य एवं प्रबंधन केर विशेषज्ञ भाग लेतीं। ऐहीक अतिरिक्त बेलारुस केँ विद्वान सभ सेहो अप्पन सहमती देना छथि।

ऐही सम्मेल्लन क' बीज भाषण दिल्ली स्कूल ऑफ़ इकोनॉमिक्स केँ वाणिज्य विभागक पूर्व विभागाध्यक्ष प्रो. जे. पी. शर्मा प्रस्तुत करता। सम्मेल्लन केँ संगठन सचिव प्रो. बी. बी. एल. दास कहलनि कि मूल विषय केर अतिरिक्त दस अतिरिक्त विषय सेहो अछि, जाहि पर अन्तराष्ट्रीय स्तरक दू दर्जन विशेषज्ञ दू दिन धरी अप्पन व्याखान प्रस्तुत करता| ऐही सम्मलेन मे उद्घाटन सत्र केर अतिरिक्त तीन तकनीकी सत्र केर आयोजन कायल गेल अछि | प्रथम तकनीकि सत्र केर विषय "इमर्जिंग एनवायरनमेंट फॉर एंट्रेपरेनुरिअल डेवलपमेंट" अछि, द्वितीय तकनीकि सत्र केँ विषय "न्यू डाइमेंशन ऑफ़ एंट्रेपरेणुरशिप" आओर तृतीय सत्र केँ विषय "एंट्रेप्रेनुर्शिप चैलेंजेज : इंडियन कॉन्टेक्स्ट" अछि, जाहि पर एखन धरी एक सौ अस्सी संक्षिप्त आलेख आयब चुकल अछि।