दरभंगा केँ एक गाम एहेन जता कियो मैट्रिक पास नहि छथि, ओहि गामक 4 बेटी रचे जे रहल छथि इतिहास

दरभंगा। 07 दिसम्बर। आजादी केँ 70 बरख बादो मिथिलाक एक गाम एहेन अछि जाहि गाम मे एको गोटा मैट्रिक पास नहि अछि। गोसलवार गाम दरभंगा जिला मुख्यालय सँ महज 3 किलोमीटर केर दुरी पर  बहादुरपुर प्रखंड मे स्थित अछि। करीब 1200 आबादी बला एहि गाम मे हाईस्कूल आओर मिडिल स्कूल के तँ बाते छोड़ू प्राइमरी स्कूल सेहो नहि अछि। मुदा एतेक दिक्कतक बावजूद खुशीक गप ई अछि कि एहि गामक  4 बेटी अप्पन मजबूत इच्छाशक्ति केर कारण इतिहास रचे जे रहल छथि।
 
गोसलवार गामक विश्वनाथ सहनी केँ बेटी कविता कुमारी, बिंदेश्वर सहनी केँ बेटी पूजा कुमारी, कन्हैया सहनी केँ बेटी नेहा कुमारी आओर कुशेश्वर सहनी केँ बेटी गीता कुमारी अगिला बरख 2018 मे मैट्रिक केर परीक्षा मे बैसै बला छथि। ई सभ बच्चिया अप्पन गाम सँ 7 किलोमीटर दूर  आनंदपुर बालिका हाईस्कूल केँ छात्रा छथि। छात्रा नेहा कुमारी कहली कि गाम मे स्कूल नहि होयबाक कारण हमरा सभके बढ़बा मे बहुत दिक्कत होयत अछि। हमरा सभकेँ 7 किलोमीटर दूर बढ़बाक लेल स्कूल जे पड़ैत अछि। हमरा सभके कैको दिन देरी होयबाक कारण फटकार सेहो सुने पड़ैत अछि। ओतहि, छात्रा कविता कुमारी कहली  कि अप्पन गाम सँ हम सभ पहिल बेर मैट्रिक परीक्षा देब। हमरा सभक कोशिश अछि कि नक मार्क्स आनिकेँ अप्पन गामक नाम रोशन करी। 

आनंदपुर हाईस्कूल केर प्रिंसिपल अरुण कुमार झा कहलनि कि हम सभ एहि बात सँ बहुत गर्व महसूस क' रहल छी कि आजादी केँ 70 बरखक बाद गोसलवार गामक बेटी सभ मैट्रिक परीक्षा द' रहल छथि। हम सभ चारो बच्चिया केँ खूब मदैद क' रहल छी आओर यदि ई बच्चिया सभ पास करैत छथि तेँ हम सभ चारो क' पुरस्कृत सेहो करब। 

अपने क' बता दी जिला मुख्यालय सँ महज 3 किलोमीटर केर दूरी पर स्थित गोसलवार गाम मे नहिये तेँ कोनो आंगनबाड़ी केंद्र अछि आओर नहिये कोनो स्वास्थ्य उपकेंद्र। गाम क' जोड़बाक लेल कुन पक्की सड़क सेहो नहि अछि। गामक बेसी लोग मजदूरी करैत अछि, आओर बच्चा सभ  स्कूल जेबाक बजाय अप्पन दिनचर्या केर रुप मे बकरी चरबैत, घास काटैत आ जारैन बिछबाक काज करैत अछि।