प्राप्त खबैर केर मुताविक वैशाली जिलाक महनार के रहिवासी एक महिला जे इलाजक लेल पटना आबि रहल छथि, ओ गंगा सेतु जाम रहबाक कारण पटना नहि पहुंच पेली, जाहि कारन सँ हुनकर ऐंबुलेंस मे मौत भ' गेल। कैको जगह पर बंद समर्थक सभ सड़क जाम करी आगजनी केलक आओर रास्ता ब्लॉक क' देलक।हाजीपुर क' पटना सँ जोड़े बला गांधी सेतु पर एहो गाड़ी नहि चैल सकल। नवादा, बांका, दरभंगा, औरंगाबाद आओर मधुबनी मे सेहो जाम लागल रहल।
एहि बीच तेजस्वी यादव कहलनि कि आरजेडी किसान, मजदूर, नौजवान आओर महिला सभक संग अन्याय केर खिलाफ अप्पन लड़ाई जारी राखत। ओतहि जेडीयू प्रवक्ता नीरज कुमार कहलनि कि बालू खनन नीति केर वापसी केँ बाद बिहार बंद केँ कुनू औचित्य नहि छल, ई हठधर्मिता केर उदाहरण अछि।