मधुबनी : रहिका सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेड मनेलक अप्पन 108म स्थापना दिवस

मधुबनी। 22 दिसम्बर। [मिहिर कुमार झा "बेला "] रहिका सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेड मधुबनी केँ 108म स्थापना दिवस मधुबनी मुख्य शाखा केर अलावा बाबूबरही शाखा मे सेहो खूब धूम -धाम सँ मनाओल गेल।  

एहि अवसर पर बाबूबरही शाखा प्रबंधक विकाश कुमार झा कहलनि कि रहिका सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेड मधुबनी बैंक 108म स्थापना दिवस मना रहल अछि। एहि मौका पर बैंक केँ सभ कर्मचारी आओर अधिकारी लोकनि नीक सँ नीक ग्राहक सेवा प्रदान करबाक शपथ लेलनि। ऐहिक संगे संह अप्पन आसपास साफ सफाई राखब आओर कन्या भ्रूण हत्या रोकबाक सभकियो विशेष शपथ लेलनि। एहि अवसर पर एलडीएम एम.एस अख्तर आओर डीडीएम नाबार्ड राजेश अग्रवाल केर संग रहिका सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेड केँ प्रबंध निदेशक अजय भारती समेत सभ अधिकारी, कर्मचारी आओर शाखा मे आयल ग्राहक सभ मौजूद छल।