प्राप्त जानकारी केर मुताबिल अपराधी सभ राजद नेता के माथ मे 4 गोली मारलक, जाहिसँ हुनकर मौके पर मौत भ' गेल। इ घटना हसनपुर थाना के शंकरपुर गाम लगक अछि। मृतक केँ पुतहु अहिलवार पंचायतक वर्तमान मुखिया छथि।
एहि मामला मे पुलिस एक शख्स विजय यादव क' गिरफ्तार केना अछि । एसपी दीपक रंजन गिरफ्तारी केर पुष्टी केलनि। पुलिस घटना स्थल पर पहुंच छानबीन क' रहल अछि। एहि घटनाक बाद पूरा इलाका मे दहशत केर माहौल अछि। लोग सभ घटनाक पाछू कैको तरहक बात कही रहल अछि। फिलहाल हरेराम यादव केर हत्या कुन कारण सँ कायल गेल ऐहिक जानकारी नहि भेटल अछि।