दरभंगा : अम्बेडकर छात्रावास परिसर सँ तीन कार्टून शराब बरामद
दरभंगा। 19 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] लहेरियासराय थाना केँ पुलिस गुप्त सूचना केर आधार पर मदारपुर स्थित अम्बेडकर छात्रावास परिसर मे नुकाओल गेल तीन कार्टन विदेशी शराब बरामद केलनि अछि। परिसर मे निर्माणाधीन अधीक्षक क्वार्टर मे शराब नुका क' राखल गेल छल। बरामद भेल तीन कार्टून शराब मे रॉयल स्टैग केँ 180 एमएल बला 136 बोतल पाओल गेल अछि। एखनधरि किनको गिरफ्तारी नहि भेल अछि। लहेरियासराय थाना के एसआई शिव कुमार राय केर बयानक मुताविक अज्ञात लोगक खिलाफ एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि।