
दरभंगा। 18 दिसम्बर। दरभंगा जिला क' स्वच्छ आओर सुन्दर बनेबाक उद्देश्य सँ शहर केँ चौक - चौराहा केर सौंदर्यीकरण केँ काज शुरू भ' गेल अछि। सौंदर्यीकरण काज केर शुरुआत शहर केँ सभसँ प्रमुख कर्पूरी चौक सँ कायल गेल अछि। चौक - चौराहा सौंदर्यीकरण काज भाजपा विधायक संजय सरावगी केर ऐच्छिक कोष सँ 9 लाख टाकाक लागत मे कायल जे रहल अछि।
सौंदर्यीकरण काजक तहत चौक पर लागल जननायक कर्पूरी ठाकुर केर प्रतिमा सुरक्षित रहे आओर ऐहिकेँ सुंदरता बढ़ेबाक लेल घेरा के भीतर गार्डन केर संगे संग भीतर-बाहर लाइट सेहो लगाओल जायत। काज पूरा होयबा मे लगभग बीस दिनक समय लागत। फिलहाल पछिला तीन दिन सँ मजदूर सभकेँ काज मे लगा देल गेल अछि। ओतहि घेरा केँ बाहर - भीतर लगेबाक लेल धौलपुर केर प्रसिद्ध सैंड स्टोन पत्थर मंगाओल गेल अछि।
अपने क' बता दी कि जननायक कर्पूरी ठाकुर केर प्रतिमाक स्थापना बरख 2001 मे भेल छल। भाजपा विधायक संजय सरावगी कहलनि कि कैको बरख सँ लोग सभक मांग छल कि प्रतिमा केर संरक्षण व सौंदर्यीकरण कायल जाय। ऐहिक लेल लोग सभक मांग क' देखैत ऐहिकेँसौंदर्यीकरण केँ काज शुरू कायल गेल अछि आओर 5 जनवरी क' ऐहिक सौंदर्यीकरण केर उद्घाटन कायल जायत।