सुशील मोदी हार्दिक के नामक पहिल शब्द एच, अल्पेश के ए आओर जिग्नेश के जे क जोड़ैत तीनो के गठबंधन क' हज केर संज्ञा देलनि। ओतहि विजय रुपाणी के सरनेम आर अमित शाह के नामक पहिल अक्षर ए आओर प्रधानमंत्री मोदी के सरनेम एम क जोड़ैत तीनो क' 'राम' शब्द सँ संबोधित केलनि।
चुनाव परिणाम क' 'हज' पर 'राम' केँ विजय केर संज्ञा डाइट मोदी कहलनि कि दुनू राज्यक चुनाव परिणाम प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर विकासक निति पर मोहर लगा देना अछि। कांग्रेस गुजरात मे 'विकास पागल भ' गेल अछि' जेहन बयान द'क' विकास केर सोचक मजाक उड़ेना छल, ओतहि बीजेपी ई स्वीकार केलक कि 'हमहि विकास छी', माने जता बीजेपी अछि ओतहि विकास अछि।