पटना। 18 दिसम्बर। शादी बिआह आओर आन अवसर पर चमचमाबैत लिबास मे ढोल-नगाड़ा संग बैंड बजबै बला सभके याद होयत मुदा, अपने सभ बैंड बाजा बजबै बाली केर बारे म' नहि सुनने होयब। दरअसल, पटना केँ ढिबरा गाम मे एक एहेन बैंड पार्टी अछि जाहिमे ढोल-नगाड़ा बजबै बाली सभके सभ महिला छथि।
पटना केँ दानापुर कस्बा लग ढिबरा गाम मे महिला सशक्तिकरण क' बढ़ावा देबाक लेल एक बैंड ग्रुप बनाओल गेल अछि। एहि ग्रुप मे सभकेँ सभ महिला छथि। बड़का बड़का नगाड़ा क' थामने महिला सभक ऊपर लोग सभ खूब टिका टिपण्णी सेहो केलनि मुदा हुनका सभक मजबूत इरादा लग सभ किछु बेकार रहल।
बैंड केँ मुखिया सविता देवी कहली कि समाजक लोग सभ पहिने हमरा सभ पर हसैत छल आओर कहैत छल कि हम सभ पुरुख सभक काज क' रहल छी। हम सभ कहलो कि आजुक समय म' जखन महिला हर क्षेत्र म' काज क' रहल छथि तेँ हम सभ बंद बैंड किएक नहि बजा सकैत छी।