उक्त सभा मे मिथिला नवचेतना समिति-रिषरा, मिथिला कल्याण परिषद-रिषरा, वैदेही-कोन्नगर, जानकी सेवा संघ-कोन्नगर, मिथिला सेवा समिति-बेलुर, विद्यापति जनकल्याण सेवा ट्रस्ट-लिलुआ, कोकिल मंच-कोलकाता, मिथिला सांस्कृतिक परिषद-कोलकाता के प्रतिनिधि सभ सेहो भाग लेलनि। उक्त सभा मे प्रेम नारायण झा, अजय झा, मालती झा, दिलीप झा बहुत सक्रिय भुमिका मे देखार देलनि, ओतहि सभा केर संचालन भवनाथ झा द्वारा कायल गेल। एहि कार्यक्रम मे बद्रीनाथ झा, अरुण सींह, राजकुमार झा, रूपेश त्योंथ, भाष्कर झा, अशोक झा भोली, गंगा झा, गौरी कांत बक्शी, अमर किशोर झा, नबोनारायण मिश्र, किरण झा आदि लोकनि सेहो भाग लेलनि। आगंतुक अतिथि आओर कार्यकर्ता सभकेँ धन्यवाद ज्ञापन दैत रंजीत कुमार झा “पप्पू” द्वारा कार्यक्रम केर समापन कायल गेल।