अनुमंडल पदाधिकारी द्वारा सराय पोखड़ि केर स्थायी सफाई केर आदेश देल गेल छल मुदा नगर परिषद सड़क आओर पोखड़ि के इर्दगिर्द सफाई क' रहल अछि। लोग सभक कहब अछि कि कब्जाधारी सभक नगर परिषद सँ तालमेल अछि एहि लेल ओ सभ वरीय पदाधिकारी सभक आदेश के सेहो अवहेलना क' रहल अछि। सराय पोखड़ि केँ साफ सफाई आओर सौंदर्यीकरण केँ काज एहि सभ कारण सँ रुकल अछि।
गौरतलब अछि कि नगर युवा मंच केर प्रयास सँ एहि विवादित पोखड़ि केँ सफाई काज शुरू भेल अछि। भलही काज अस्थिर - अस्थिर भ' रहल अछि मुदा उम्मीदक एक किरण उभरल अछि। युवा नगर मंच के प्रतिनिधि कहलनि कि नगरवासी सभक सहयोग सँ शहर के सभ तालाब क' अतिक्रमणमुक्त करी साफ- सफाई के काज शुरू कायल जायत। आब देखबाक ई अछि कि सराय पोखड़ि केर साफ सफाई आओर सौंदर्यीकरण के ई ख्वाब पुरा होयत अछि वा नहि।