अरेर थानाध्यक्ष किशोर कुणाल झा कहलनि कि ऐही मामला मे दू अलग - अलग एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि। एहि मामला मे खिरहर पंचायतक मुखिया विकास मिश्र ब्रहमपूरा पंचायतक मुखिया अजीत पासवान, आलम अंसारी, अमरेन्द्र मिश्र, किरण देवी सहित 13 गोटाकेँ नामजाद कायल गेल अछि। ऐहिक अलावा 100 सँ बेसी क' अज्ञात आरोपित कायल गेल अछि।
ओतहि दोसर मामला मे सभा स्थल पर हंगामा करबाक आरोप मे मुखिया संघक जिलाध्यक्ष कृपानंद आजाद सहित आन मुखिया, वित्त रहित इंटर कॉलेज संघक प्रो कमलेश्वर ठाकुर सहित कैको कर्मी राजद के प्रखंड अध्यक्ष राजेश यादव, नियोजित शिक्षक संघक राजू यादव, संजीव कामत सहित 61 नामजद आओर अज्ञात केर खिलाफ एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि।
थानाध्यक्ष कहलनि कि वरीय पदाधिकारी केर निर्देश पर ई मामला दर्ज कायल गेल अछि। अज्ञात सबहक पहिचान विडियो फुटेज सँ कायल जे रहल अछि। ओतहि मुखिया संघक जिलाध्यक्ष कृपानंद झा एहि आरोप क' बेबुनियाद बतबैत कहलनि कि हुनकर प्रतिनिधी सभक ऊपर विधि व्यवस्था भंग करबाक आरोप मनगढंत अछि।