
खगड़िया। 19 दिसम्बर। बिहार केँ स्वास्थ्य व्यवस्था पर सदीखन सवालिया निशान ठाढ़ होयत रहैत अछि। हेबो किएक नहि करे, ऊपर जाहि तरहक छवि सामना आयल अछि एहि पर सवाल ठाढ़ होयब जायज अछि। जता दुनियां चांद सँ ल'के मंगल धरिक सफर तय क' रहल अछि, ओतहि बिहार केँ अस्पताल सभक आलम एहेन अछि कि मोबाइलक इजोत मे ऑपरेशन होयत अछि।
खगड़िया केँ गोगरी अनुमंडल अस्पताल मे ऑपरेशन केर सुविधा देल गेल अछि। मुदा आश्चर्यक बात ई अछि कि ऑपरेशन रूम मे नहितँ बिजली केर प्रबंध अछि आओर नहिये जेनरेटर केर सुविधा। एहि कारण सँ जखन ऑपरेशन होयत अछि तेँ मरीज के परिजन सभ मोबाइल केँ टोर्च जड़ा इजोत करैत अछि आओर डॉक्टर साहब ऑपरेशन क' अंजाम दैत छथि।
मोबाइल केँ टोर्चक इजोत मे ऑपरेशन करैत ऑपरेशन रूम के ई छवि वायरल भ' गेल अछि। छवि वायरल भेलाक बाद सँ स्वास्थ्य विभाग हरकत म' अछि। स्वास्थ्य विभाग कुनू भी सवाल केँ जवाब देबै सँ परहेज क' रहल अछि। ऐहिक जबाब सरकार क' सेहो देबाक चाही कि आखिर बिहार मे ऐना किएक भ' रहल अछि। सरकार स्वास्थय सँ ल'के बिजली सुविधा पर अप्पन हुंकार भरैत अछि। मुदा जखन धरातल पर सच नजैर आबैत अछि तेँ लोग सभ अगबे एकहि सवाल पुछबा पर विवश रहैत अछि, आखिर कहिया धरी ऐना चलत?