बिहार बोर्ड : 13 दिसम्बर सँ भरल जायत मैट्रिक परीक्षा केर फॉर्म

पटना। 08 दिसम्बर। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति (बीएसईबी) द्वारा इंटर परीक्षा केँ बाद आब मैैट्रिक परीक्षा 2018 लेल फॉर्म भरबाक तिथि केर घोषणा क' देल गेल अछि।

मैट्रिक केँ फॉर्म 13 सँ 19 दिसम्बर धरि बिना विलंब शुल्क केँ भरल जे सकैत अछि। विलंब शुल्क संग फॉर्म 20-22 दिसम्बर केँ बीच भरल जे सकैत अछि।

इंटरे जोका मैट्रिक मे सेहो बोर्ड द्वारा परीक्षा फॉर्म केर शुल्क 250  टाका बढ़ाओल गेल अछि। परीक्षा फॉर्म राज्य भरिक 650 सहज वसुधा केंद्रक माध्यम सँ भरल जे सकैत अछि। जिनकी सुची समिति केर बेबसाइट www.biharboard.ac.in पर उपलब्ध अछि।

एहिसँ पहिने बीएसईबी द्वारा इंटर परीक्षा 2018 केँ फॉर्म भरबाक तारीख केर घोषणा क' देल गेल छल। ओनाकि छात्र सभक सुविधाक लेल छात्र सभकेँ कैको मौका देल गेल छल।

और नया पुराने