गौरतलब अछि कि बिहार मे पछिला कैको दिन सँ स्वास्थ्य विभाग मे संविदा पर बहाल लगभग 17 हजार स्वास्थ्यकर्मी अप्पन विभिन्न मांग ल'के राजधानी पटना केँ गर्दनीबाग मे हड़ताल क' रहल अछि। 'समान काजक लेल समान वेतन' केर मांग ल'के संविदा स्वास्थ्य कर्मी धरना प्रदर्शन क' रहल छथि।
जाहिकेँ देखैत राज्य सरकार के स्वास्थ्य विभागक प्रधान सचिव आरके महाजन कैल्हि गुरु दिन पटना मे मीडिया केर माध्यम सँ संविदा पर बहाल कर्मी सभसँ आग्रह करैत चेतावनी देलनि कि अगर शुक्र दिन धरी हड़ताली सभ काज पर नहि औता तेँ शनि सँ कॉन्ट्रैक्ट कैंसिल करी सभक नौकरी समाप्त क' देल जायत। सभक जगह पर नवा स्वास्थ्य कर्मी केर बहाली कायल जायत।
ओतहि पटना के गर्दनीबाग धरना स्थल पर हड़ताल पर बैसल स्वास्थ्यकर्मी अप्पन मांग पर अड़ल अछि। हड़ताली सभ आंदोलन क' तेज करैत संविदा पर बहाल एनएचएम कर्मी सभ सरकार केर खिलाफ अप्पन गोलबंदी तेज क' रहल अछि। एतबे नहि, सरकार द्वारा मांग नहि मानला पर एनएचएम कर्मी सभ आत्मदाह करबाक चेतावनी देना अछि।