
मधुबनी। 09 दिसम्बर। मधुबनी जिला परिवहन कार्यालय मे सभकिछु ठीक - ठाक नहि चैल रहल अछि। जिला परिवहन कार्यालय मे पदाधिकारी सभक मनमानी सँ सरकारी आदेशक खुलेआम धज्जि उड़ाओल जे रहल अछि। कैको एहेन मामला अछि जाहिपर यदि वरीय पदाधिकारी संज्ञान लेथिन तेँ जिला परिवहन पदाधिकारी सभ पर गाज गिड़ब तय अछि।

मधुबनी सँ दिल्ली (आनंद विहार) लेल मधुबनी सँ पांच बस चलैत अछि जे उत्तर प्रदेश सरकार सँ निबंधित अछि। ई बस उत्तर प्रदेश सँ टूरिस्ट परमिट ल'के मधुबनी सँ आनंद विहार आओर आनंद विहार सँ मधुबनी लेल यात्री सेवा द' रहल अछि आओर ऐहिक लेल बतौर भाड़ा प्रति सीट 1000 आओर प्रति स्लिपर 1500 टाका लेल जे रहल अछि।
ई गोरखधंधा खुलेआम चलाओल जे रहल अछि आओर ऐहिक ऑनलाईन बुकिंग सेहो भ' रहल अछि। जखनकि परिवहन आयुक्त द्वारा बिहार केँ सभ परिवहन पदाधिकारी सभके स्पष्ट आदेश देल गेल अछि कि दोसर राज्य सभसँ परमिट ल'क' यात्री बस जे दोसर राज्य सभक लेल यात्री सेवा दैत अछि एहेन सभ बसक परिचालन पर रोक लगाओल जाय। एहि सभक बावजूद ई गोराखधंदा बदस्तूर जारी अछि आओर एहेन बस सेवा केर उद्घाटन सेहो एक केबिनेट मंत्री महोदय करैत छथि एहिसँ स्पष्ट होयत अछि कि एहि मामला मे परिवहन पदाधिकारी आओर रसूखदार सभक मिलीभगत सँ एहि तरहक खेल चैल रहल अछि।