दिल्ली सरकार केलक जीवित बच्चा क' मृत घोषित करई बला मैक्स हॉस्पिटल केँ लाइसेंस रद्द

नई दिल्ली। 08 दिसम्बर। दिल्ली केँ शालीमार बाग स्थित मैक्स हॉस्पिटल केँ लाइसेंस रद्द क' देल गेल अछि। दिल्ली सरकार केँ स्वास्थ्य मंत्री सत्येंद्र जैन एक प्रेस कांफ्रेस करैत ऐहिक जानकारी देलनि अछि। मंत्री के कहब अछि कि हॉस्पिटल केर लाइसेंस रद्द क' देल गेल अछि। हॉस्पिटल आब नवा मरीज सभक भर्ती नहि क' सकत, ओतहि पुरान मरीज सभक इलाज जारी राखी सकैत अछि। 

दिल्ली केँ शालीमार बाग मैक्स हॉस्पिटल पर जीवित नवजात बच्चा क' मृत घोषित करैत पॉलीथिन मे पैक करबाक आरोप लागल छल। हॉस्पिटल मे इलाजक दौरान बच्चा केर मौत भ' गेल छल।  

अपने क' बता दी राजधानी दिल्ली केँ शालीमार बाग इलाका मे स्थित मैक्स हॉस्पिटल मे बिगत 30 नवंबर क' एक महिला दू बच्चा क' जन्म देना छली। जाहिमे एक बच्चा केर मौत जन्म होयते भ' गेल जखनकि दोसर बच्चा जीवित छल। डिलिवरी के एक घंटाक बादे हॉस्पिटल दोसरो बच्चा केँ मौतक खबैर द' देना छल। जाहिक बाद दुनू बच्चा मे एक जीवित बच्चा क' सेहो मृत घोसित करि प्लास्टिक पैकेट मे बंद करीकें परिजन सभकेँ सौंप देल गेल छल।