बिहार मे आब 'सेल्फी' सँ होयत सरकारी अधिकारी सभक हाजिरी

भागलपुर। 09 दिसम्बर। जिला केँ बीडीओ होयथ वा आन अधिकारी, आब सेल्फी सँ सभक हाजिरी लागत। आब अधिकारी सभ अप्पन मोबाइल स' सेल्फी ल'के जखन डीडीसी क' भेजथिन तखन हुनकर हाजिरी लागत। मतलब सरकारी हाजिरी सेहो आब डीजिटल होयत। एतबे नहि आब सरकारी बाबू सभ अप्पन वरीय पदाधिकारी क' जानकारी देना बिना दफ्तर सँ गायब नहि रही सकैत छथि। यदि कोनो अधिकारी एहेन करता तेँ हुनका ऊपर कार्रवाई होयत। 

जिला प्रशासन अब सेल्फी अटेंडेंस मोबाइल एप केर जरिए सभ बीडीओ कर्मी सभक हाजिरी बनेबाक व्यवस्था क' रहल अछि। ई मोबाइल एप जिलाक सभ 16 प्रखंड आओर242 पंचायत मे काज करत। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक अगिला आठ दिनक भीतर ई एप काज करे लागत। ई एप सभ अफसर कर्मी सभक मोबाइल पर लोड रहत। दफ्तर पहुँचलाक बाद भोर दस बजे आओर सांझ जाय घरी पांच बजे सभकेँ अप्पन सेल्फी ल'क' देबा पड़त। ऐहिक जरिए सभक हाजिरी बनत। एहि पर निगरानी रखबाक लेल जीपीएस सिस्टम केर उपयोग कायल जे सकैत अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक बिहारक कोनो सरकारी दफ्तर मे एखन धरी ई व्यवस्था नहि अछि। भागलपुर जिला मे अटेंडेंस बनेबाक ई पहिल नवा व्यवस्था होयत।