मिथिलाक बेटी युवा कवयित्री 'स्वाती शाकंभरी' क' उत्कृष्ट सम्मान सँ कायल जायत सम्मानित

सहरसा। 21 दिसम्बर।[प्रणव कुमार चौधरी] युवा कवयित्रीक रूपमेँ देश-विदेश मे अप्पन पहिचान बना चुकल स्थानीय राजेंद्र मिश्र कॉलेजक मैथिली विभाग केँ प्रोफेसर अरविंद कुमार मिश्र केँ बेटी स्वाती शाकंभरी क' गांधी हिन्दुस्तानी साहित्य सभा द्वारा मैथिली व हिंदी साहित्यक छेत्र मे हुनकर योगदान क' देखैत 'काकासाहेब काकेलकर साहित्य सम्मान' सँ सम्मानित कायल जायत। 

संस्थान केर संयोजक प्रसून लतांत, मंत्री अतुल प्रभाकर व कुसुम साह पत्र भेज 23 दिसम्बर क' गांधी हिन्दुस्तानी साहित्य सभा जवाहरलाल नेहरू मार्ग राजघाट मे यूवा कवयित्री क' ऐही सम्मान लेल आमंत्रित केना छथि। ई सम्मान काकासाहेब कालेकार केर 132सम जयंती केर उपलक्ष्य मे आयोजित समारोह मे देल जायत। 

अपने क' बता दी ई सम्मान पांच क्षेत्रक लेल प्रति बरख देल जायत अछि, जाहिमे साहित्य, पत्रकारिता, खेल, समाज सुधार, राजनीतिक छेत्र मे उत्कृष्ट काज करनिहार सभकेँ सम्मानित कायल जायत अछि। एहि बरख साहित्यक छेत्र मे बेसी रूचि व योगदानक लेल संस्थान द्वारा स्वाती शाकंभरी चयनित कायल गेल अछि। 

अपने क' स्वाती शाकंभरी एहि सम्मान सँ पहिनो साहित्य आकादमी नई दिल्ली द्वारा पूरवागमन पुस्तक केर प्रकाशन लेल सम्मानित भ' चुकल छथि।