राजधानी केँ एक महिला कॉलेज बैन केलक जींस, पटियाला सूट आओर मोबाइल

पटना। 07 दिसम्बर। शिक्षा क्षेत्र मे कैको अव्यवस्था सभक चलते सुर्खि मे रहे बला बिहार आब राजधानी पटना केँ एक महिला कॉलेजक फरमान केर चलते चर्चा मे आयल अछि। कॉलेज द्वारा कैंपस मे जींस आओर पटियाला सूट पहिरकेँ एबा पर बैन लगाओल गेल अछि। कॉलेज द्वारा क्लासरूम मे मोबाइल फोन पर सेहो बैन लगाओल गेल अछि। 

पटना केँ मगध महिला कॉलेज केँ प्रबंधन द्वारा कॉलेज कैंपस मे कैको नवा परिवर्तन करैत नियमावली मे ड्रेस कोड सँ जुड़ल ई फरमान जोड़ल गेल अछि। एहिमे लिखल अछि कि छात्रा सभकेँ कैंपस मे जींस वा पटियाला सूट पहिरकेँ नहि अएबाक अछि। ऐहिक अलावा कैंपस मे मोबाइल फोन केर इस्तेमाल पर सेहो रोक लगा देल गेल अछि आओर कैंपस मे मोबाइल केर उपयोग करै बाली छात्रा सभ पर 1000 टाकाक जुर्माना लगाओल गेल अछि। कॉलेज केर नियमावली मे इयो कहल गेल अछि कि छात्रा सभ कोनो तरहक धरना, प्रदर्शन आओर हड़ताल मे भाग नहि ल' सकैत छथि। नवा  ड्रेस कोड जनवरी 2018 सँ लागू कायल जायत।