गुजरात चुनाव मे देखार देलक मिथिलाक 'पाग' केर चमक

गुजरात। 12 दिसम्बर। पूर्व विधायक सह बिहार भाजपा प्रदेश उपाध्यक्ष गोपाल जी ठाकुर, बिहार भाजपा प्रदेश महामंत्री श्री शुशील चौधरी, बेतिया जिला केँ निवर्तमान जिलाध्यक्ष एवं प्रदेश कार्यसमिति सदस्य श्री संजय पांडे, भाजयुमो प्रदेश कार्यसमिति श्री राहुल शर्मा आओर बिहार भाजपा केँ पदाधिकारी लोकनि मिथिलांचलक वेश भूसा मे भारतीय जनता पार्टी केर समर्थन मे अलग - अलग क्षेत्र मे लोग सभकेँ जागरूक केलनि। 

भारतीय जनता पार्टी केर समर्थन मे चलाओल जे रहल जागरूकता अभियान मे प्रवीण झा, सर्व श्याम झा, बैजू चौधरी रामनाथ मिश्रा, विधान झा केँ संगे संग बहुत रास मैथिल शामिल छला।