बेगूसराय : मुखियाँ केँ दू बेटाक पत्थर सँ कुचिकेँ हत्या, दू गिरफ्तार

बेगूसराय। 12 दिसम्बर। सूबे मे लगातार भ' रहल अपराधिक घटना मे लगातार भढ़ोतरी भ' रहल अछि। दोहरा हत्याकांड केर ताजा सनसनीखेज वारदात मे बेखौफ अपराधी सभ मुखिया केँ दू बेटाक पत्थर सँ कुचिकेँ हत्या क' देलनि। हत्या केँ बाद शव क' ठेकान लगेबाक दौरान दू अपराधी क' रंगल हाथ गिरफ्तार कायल गेल अछि। 

दरअसल आय भोर खोदावंदपुर थाना क्षेत्र अंतर्गत रसलपुर पंचायत केँ मुखिया सीताराम महतो के दू बेटाक शव बरामद कायल गेल। पहिल शव तेघड़ा थाना क्षेत्र के रामपुर स्कूल लग बरामद भेल जखनकि दोसर शव खोदावंदपुर थाना क्षेत्र के दौलतपुर सँ बरामद भेल। 

घटना केर संबंध मे भेटल जानकारी केर  मुताबिक खोदावंदपुर थाना केर  पुलिस शव क' ठेकान लगेबाक दौरान दू अपराधी क' रंगल हाथ गिरफ्तार केना अछि। बताओल जे रहल अछि कि मुखिया सीताराम महतो के दू बेटा  जितेंद्र कुमार आओर राम लाल महतो क' सोम दिन देर राति अज्ञात लोग  मोबाइल पर फोन करी बजौलनि। आय मंगल केँ भोर तड़के दुनू केँ शव बरामद कायल गेल। 

ओनाकि, हत्या केँ कारणक पता नहि चैल सकल अछि, मुदा ग्रामीण सभ पैसा के लेन-देनक मामला मे हत्या होयबाक आशंका व्यक्त क' रहल अछि। फिलहाल,  पुलिस सेहो एहि मामला मे किछु बतबै सँ मना क' रहल अछि।