बिहार कैबिनेट: सार्वजानिक जगह सभ पर सेहो लगाओल जायत CCTV कैमरा

पटना। 12 दिसम्बर। बिहार कैबिनेट केर बैठक मे 63 एजेंडा पर मोहर लगाओल गेल। जाहिमें राज्य के सार्वजनिक स्थल सभ पर महिला सभक संग छेड़खानी क' रोकबाक लेल आओर अपराधी सभक रोकथाम लेल 'सेफ सिटी सर्विलांस' योजना केर तहत CCTV कैमरा लगाओल जायत। ऐहिक लेल कैबिनेट मे 110 करोड़ टाकाक मंजूरी भेटल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक कैबिनेट सेक्रेटरी बृजेश मल्होत्रा कहलनि कि राज्य के सार्वजनिक स्थल सभ पर महिला छेड़खानी रोकबाक लेल आओर अपराधी सभक रोकथाम हेतु सर्वप्रथम पटना जिला मे CCTV कैमरा लगेबाक फैसला कायल गेल अछि। सीसीटीवी कैमरा लगेबाक लेल कुल 110 करोड़ 67 लाख टाका कैबिनेट द्वारा स्वीकृत कायल गेल अछि। 

ओतहि, राज्य मे ट्रैफिक नियंत्रण लेल एहो सभ प्रमुख शहर सभमें ट्रैफिक थाना खोलबाक प्रस्ताव अछि। ऐहिक तहत पहिल फेज मे नौ शहर मे ट्रैफिक थाना खोलल जायत। एहिमें मुजफ्फरपुर, बिहारशरीफ, दरभंगा, आरा, कटिहार, मुंगेर, छपरा, पूर्णिया आओर बेगूसराय शामिलn अछि। एहि सभ थाना केँ संचालन लेल 1,425 पद केँ सृजनक स्वीकृति देल गेल अछि। 

एम्हर बरख 2017 -18 मे सिंचाई लेल  डीजल अनुदान आओर आकस्मिक फसल योजना लेल कैबिनेट द्वारा एक अरब 75 करोड़ टाका स्वीकृत कायल गेल। रवि मौसम मे किसान सभकेँ एक एकड़ क्षेत्र मे एक सिंचाई के लेल 10 लीटर डीजल केर खपत केँ आलोक मे प्रति 1 लीटर डीजल के किराया पर ₹30 के दर सँ कुल अनुमानित राशि ₹300 क' बढ़ा क' 35 टाकाक दर से कुल अनुमानित राशि ₹350 स्वीकृत कायल गेल। 

कैबिनेट मे रेल जिला जमालपुर के अंतर्गत देवघर बांका रेल खंड के चांदन रेलवे स्टेशन पर रेल थाना के सृजन क' स्वीकृति देल गेल अछि, जाहिक लेल कुल 61 पद क' स्वीकृत कायल गेल अछि। रेल जिला जमालपुर अंतर्गत जमुई रेल पुलिस पोस्ट के सृजन एवं ओहिक संचालन लेल 30 पद केर सृजन क' सेहो स्वीकृति भेटल।