दरभंगा : मुख्यमंत्री साइकल योजना मे अवैध वसूली केर खिलाफ विद्यार्थी सभक हंगामा

दरभंगा। 08 दिसंबर। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिलाक सिंहवाड़ा प्रखंड केँ कटका नव उत्क्रमित मध्य विद्यालय के छात्र - छात्रा सभ साइकिल योजना मे अवैध वसूली केर खिलाफ खूब हंगामा केलनि। आक्रोशित छात्र-छात्रा सभ स्कूल प्रशासन पर मनमानी ढंग सँ साईकिल योजना मे पाई वसूली करबाक आरोप लगबैत भरवाड़ा, कमतौल पथ क लगभग दू घंटा धरी जाम क' देलनि आओर सड़क पर टायर ज़रा यातायात प्रभावित केलनि।  

जाम केर कारण सँ वाहन सभक खूब नमहर कतार लागि गेल। सिंहवाड़ा पुलिस आंदोलन स्थल पर पहुँच आक्रोशित छात्र - छात्रा सभकेँ समझेबाक - बुझेबाक कोशिश केलनि, मुदा छात्र-छात्रा सभ पुलिस केर बात नहीं मानलनि। बाद मे प्रखंड विकास पदाधिकारी आंदोलनकारी सभकेँ  आश्वासन देलनि कि अवैध वसूली केर खिलाफ कठोर कारवाई होयत आओर बिना भेद - भाव के साईकिल मदक राशि बांटल जायत। ऐहिक बाद सड़क जाम हटल।