'ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय' मे अनुकंपा पर होमै बला नियुक्ति मे होयत अछि धांधली

दरभंगा। 26 दिसम्बर। [आर.के दीपक] ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे लोग सभकेँ देखेबाक लेल हरेक दिन कोनो नहि कोनो बैसार होयत रहैत अछि, मुदा जाहि तरहक बैसार करबाक जाहि ओहि दिस जानी बुझिकेँ कियो ध्यान नहि दैत अछि।

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे अनुबंध पर काज करबाक लेल  भर्ती क' लेल जायत अछि, जे सेवानिवृत भ' चुकल छथि हुनको अनुबंध पर राखल जायत अछि भलेहि हुनका सँ काज होय वा नहि, मुदा अनुकंपा केर आधार पर होमै बला नियुक्ति क' पछिला लगभग साढे तीन बरख सँ नहि कायल जे रहल अछि।  

एक तेँ किनको पिता केर मृत्यु सेवाकाल मे भेला सँ हुनका ऊपर विप्पतिक पहाड़ टूइट पड़ैत अछि, मुदा कुलपति महोदय आओर सरकार द्वारा  सेवाकाल  मे मृत कर्मी केँ परिजन क' जे किछु लाभ भेटबाक चाही ओहि सँ वंचित राखल जायत अछि।

किछु दिन पहिने अभीषद आओर अधिषद केर बैसार सेहो भेल जाहिमे करोड़ो अरबों टाकाक बजट पास भेल मुदा अनुकंपा केर आधार पर नियुक्ति करबाक कोनो चर्चा नहि कायल गेल। आखिर कहिया धरी विश्वविद्यालय प्रसाशन हमरा सभसँ मुंह फेरैत रहत?

और नया पुराने